manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

नमस्कार मैथिलजन

नमस्कार मैथिलजन,
.
“मैथिल मंच” के सदस्यगण द्वारा एहि बेर “मिथिला पेंटिंग प्रदर्शनी” आ “मिथिला पेंटिंग प्रशिक्षण शिविर” के आयोजन कयल जा रहल अछि देश के विभिन्न कोना में एकसाथे।
प्रमुख स्थान आ तिथि निम्नलिखित अछि :-
.
1. विद्यापति पर्व समारोह-2016 (पटना) :- चेतना समिति द्वारा आयोजित “विद्यापति पर्व समारोह” में हर सालक भाँति एहु साल श्रीमती मुक्ति झा के नेतृत्व में पटनाक सब कलाकार लोकनि 13 आ 14 नवंबर के “मिथिला पेंटिंग” के प्रदर्शनी आयोजित होयत।
.
2. विद्यापति पर्व समारोह-2016(धनबाद):- धनबाद में दिनांक 13 आ 14 नवंबर के दू दिनक  “मिथिला पेंटिंग प्रशिक्षण शिविर” आ “मिथिला पेंटिंग” के प्रदर्शनी के आयोजन होयत सुश्री राखी चौधरी जी के नेतृत्व में एतय के “विद्यापति पर्व समारोह” में।
प्रमुख प्रशिक्षक के रूप में सुश्री राखी चौधरीजी प्रशिक्षण देती।
.
3. नोयडा में 14 नवंबर के एकटा कार्यक्रम में श्रीमती इन्दु झा के नेतृत्व में “मैथिल मंच” द्वारा “मिथिला पेंटिंग” के प्रदर्शनी के आयोजन कयल जायत।
.
.
आसपास के मैथिलजन सँ आग्रह जे एकबेर प्रदर्शनी में आबि कलाकार आ आयोजकगण के उत्साहवर्धन करी। विशेष जानकारी लेल “मैथिल मंच” के नंबर 9871687391 वा manchmaithil@gmail.comपर सम्पर्क करू।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)