manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

नमस्कार मैथिलजन

नमस्कार मैथिलजन,
.
कालि दिनांक १४ नवंबर के नोयडा, सेक्टर-७१ में सामूहिक समा-चकेबा विसर्जन संग साँस्कृतिक कार्यक्रम में “मैथिल मंच” के तरफ सँ “मिथिला पेंटिंग” के प्रदर्शनी के आयोजन कयल गेल छल श्रीमती इन्दू झा के नेतृत्व में । किछु कारणवस इन्दू दीदी स्वयं उपस्थित नहि भय सकली त हमसब हुनका मार्गदर्शन में कार्यक्रम पूर्ण कयलौं।
.
“मिथिला पेंटिंग” संग “मैथिली साहित्य”, “मैथिली गीत-संगीतक कैसेट” आ “मिथिला गृह उद्योग” के लाजवाब मैथिल सामग्री के सेहो स्टाल लगायल गेल मंच के सौजन्य सँ।
.
“मैथिल मंच” के एहि प्रयास के सबलोक बहुत प्रोत्साहन कयला आ विशेषकर जहन सबके एहि बातक पता चललनि जे एक दिन में “मैथिल मंच” के तरफ सँ एहन कार्यक्रम देश में तीन जगह पटना, धनबाद आ नोयडा में एकसंग भय रहल अछि त सबगोटे के चेहरा पर आश्चर्यक आ प्रसन्नताक भावना देखि संतोष भेल।
सतत “मिथिला पेंटिंग” में नव प्रयोग हेतु मंच के कलाकार सबके बहुते-बहुते आशीर्वाद भेटलनि श्रेष्ठजन द्वारा।
.
श्री सुनील पवन जी, आयोजक विश्वंभर ठाकुर आ रतीश कु. रमणजी  के हार्दिक आभार आयोजन में आमंत्रित करय लेल । “मैथिल मंच” के उत्तरप्रदेश संयोजक श्री राजेश झाजी के धन्यवाद जे हमर सबके “मिथिला पेंटिंग प्रदर्शनी” के सफल बनाबय लेल पुरजोर मेहनत कयलथि।
श्री विकास कु. मिश्र आ श्री विवेक कु. मिश्र जी के धन्यवाद जे लगातार ७ घंटा स्टाल सम्हारि लोक सबके “मैथिल मंच” के बारे में परिचित करेलथि आ आयोजन सफल बनेलथि।
.
मित्रगण, आहाँ सबके स्नेह आ आशीर्वाद एहिना बनल रहय आ हमसब एहिना अपन भाई-बहिन सबके सहयोग करैत रही ई माँ जानकी सँ प्रार्थना।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)