manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

नमस्कार मैथिलजन

नमस्कार मैथिलजन,
.
“मैथिल मंच” के सहयोग सँ आई पुन: एकटा नव इतिहास लिखायल।एहि इतिहास के गवाह बनला “विद्यापति समिति”, धनबाद के “विद्यापति पर्व समारोह-2016” के आयोजनकर्ता समस्त मैथिलजन । पहिलबेर कोनो तरहक मिथिला आ मैथिली सँ जुड़ल कार्यक्रम में बाकी अन्य कलाकार आ अतिथि जकाँ आबय-जाय के भाड़ा आ “मिथिला पेंटिंग के प्रदर्शनी आ प्रशिक्षण शिविर” लगाबय लेल कलाकार के शुभेच्छास्वरुप ५१०० टका देल गेल।
“मैथिल मंच” के मिथिला पेंटिंग कलाकार दरभंगा के सुश्री राखी चौधरी जी के ई सम्मान भेटलनि । “मैथिल मंच” के कला इकाई “Mukti Art Gallery” आ समस्त अनुभवी कलाकार विशेषकर श्रीमती मुक्ति झा आ श्रीमती इन्दु झाजी के आभार जे सतत मिथिला पेंटिंग के नव कलाकार चुनि हुनक मार्गदर्शन कय हुनक कला के देशभरि के मैथिल तक पहुँचाबय हेतु सतत प्रयासशील रहय छथि।
आयोजक रुप में दीपक मिश्रा जी आ समस्त आयोजन टीम के “मैथिल मंच” नमन करैत छनि जे आई आहाँ एकटा नव प्रारंभ कयलौ आ “मिथिला पेंटिंग” सँ जुड़ल कलाकार सबके लेल एकटा नव भविष्य के प्रारंभ कयलौं। विशेषकर धन्यवाद श्री दीपक मिश्राजी के जे कलाकार के स्वागत, सुविधा आ विदाई तक एहन सत्कार कयलनि, जे आगाक भविष्य में सदैव अनुसरणीय रहत।
.
समस्त मैथिल संस्था आ आयोजन समिति सँ “मैथिल मंच” के तरफ सँ करबद्ध आग्रह जे एहि प्रथा के आगा बढ़ाऊ आ जेना आहाँ कोनो गीत-संगीत के कलाकार वा अतिथि के बजाकय कार्यक्रम में सम्मान करय छी, ओहिना कम सँ कम एकटा “मिथिला पेंटिंग” कलाकार के कार्यक्रम में बजा “मिथिला पेंटिंग के प्रदर्शनी संग प्रशिक्षण शिविर” के आयोजन करी आ अपन घर अपन मिथिला के कला के प्रोत्साहित करी।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)