manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

नमस्कार मैथिलजन

नमस्कार मैथिलजन,
.
कालि दिनांक 8 जनवरी के “विश्व मैथिल सेवा संघ, बुराड़ी” के तत्वाधान में “निःशुल्क चिकित्सा शिविर” संग “रक्तदान शिविर” के आयोजन कयल गेल छल, यश विद्या पब्लिक स्कूल, हरित विहार, संत नगर बुराड़ी के प्रांगण मेँ।
सैकड़ों के संख्या में लोक रक्तदान केलथि आ अपन स्वस्थ्य जांच कराओल।
Lions Club आ Max Hospital के पूर्ण टीम के धन्यवाद जे आयोजन के पूरा करय में हमरा सबके सहयोग आ मार्गदर्शन कयलनि। विशेषकर डॉ. योगेश जी के जे नीक स्वास्थय लेल बहुत रास जानकारी देलाह हमरा सबके संगहि हार्दिक आभार श्री मुकेश गुप्ताजी के आयोजन में सहयोग करय लेल।
आयोजन में मुख्य अतिथि के रूप में श्री सुजीत कुमार (IRS, IncomeTax), श्री बी.के.झा (SDM), श्री नरेंद्र कुमार (SHO), श्री एस. के. सिंह ( Executive Engineer ) , श्री गोपाल झा (पूर्व प्रत्यासी भारतीय जनता पार्टी), श्री संजीव झा (माननीय विधायक, बुराड़ी),श्रीमती कल्पना झा (मंडल अध्यक्ष, भाजपा), श्रीमती रेखा सिन्हा(युवा नेत्री आ पूर्व प्रत्यासी भाजपा, निगम परिषद्) आदि अनेको गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।
संपूर्ण “विश्व मैथिल सेवा संघ” के सदस्यगण के सफल आयोजन के लेल हार्दिक धन्यवाद आ संस्थाक आगूक कार्यक्रम लेल शुभकामना।
“मैथिल मंच” आ “नव दुर्गा पूजा समिति, इन्द्रप्रस्थ कॉलोनी” एही आयोजन में सहयोगी बनला। “मैथिल मंच” के तरफ सँ अतिथिगण के स्वागत “मिथिला पेंटिंग” सा कयल गेल आ हमसब “नव दुर्गा पूजा समिति” के सब युवा सदस्यगण संग आयोजन सफल बनाबय में कार्यकर्ता बनि अपन योगदान देल।
सब मार्गदर्शक आ संरक्षक लोकनि के हार्दिक धन्यवाद जे आहाँ सबहक संरक्षण आ मार्गदर्शन में एतेक नीक आ सफल आयोजन भेल।
विशेषकर धन्यवाद श्री तपन झाजी के जे कार्यक्रम के तैयारी सा लय क कार्यक्रम सम्पूर्ण होबय तक लगातार संग छलाह आ कार्यकर्ता सबके सतत मनोबल बढ़बैत रहला । कार्यक्रम के पश्चात् एतेक सुन्दर भोजनक आयोजन लेल तपन जी के विशेष आभार।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल
www.maithilmanch.com

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)