manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

नमस्कार सदस्यगण

नमस्कार सदस्यगण,
.
22 जनवरी रवि दिन “मैथिल मंच” के लेल बहुत नीक रहल। कालि इन्द्रप्रस्थ कॉलोनी, बुराड़ी में “मैथिल मंच” के कार्यालय संग मिथिला सँ जुरल सामग्री (मिथिला पेंटिंग, मैथिली साहित्य, मैथिली गीत-संगीत, मिथिलाक कला ) के एकटा “Gallary” के प्रारंभ कयल गेल।
बहुत जल्दिये एही “Gallary” संग एकटा “मैथिली पुस्तकालय” आ स्थायी “मधुबनी पेंटिंग प्रशिक्षण शिविर” के व्यवस्था कयल जायत “मैथिल मंच” द्वारा समस्त क्षेत्रवासी मैथिलक सहयोग सँ।
.
जगह के व्यवस्था संग समर्थन आ सहयोग लेल″मैथिल मंच” परिवार के तरफ सँ श्री तपन झाजी के बहुत-बहुत धन्यवाद जे हमरा सबपर भरोसा कय “मिथिला एकीकरण” में सतत सहयोग कय रहल छैथि।
आजुक आयोजन में उपस्थित सदस्यगण श्री मदन झा, श्री अरुण कुमार मिश्रा, धीरज झा, आनंद कुमार झा, सुरेन्द्रजी, रोशन मिश्रा, विकाश कुमार मिश्रा, विवेक कुमार मिश्रा, सुबोध कुमार संग समस्त सदस्यगण के हार्दिक आभार।
.
एही अभियान में संग आबय वा सहयोग लेल इच्छुक सदस्यगण manchmaithil@gmail.com वा 9871687391 पर संपर्क कय सकय छी। मिथिला पेंटिंग के कलाकार, मैथिली साहित्यकार, मैथिली संगीत कलाकार वा अन्य तरहक मिथिला के कलाकार सँ आग्रह एही अभियान सँ जुरि मंच के मजबूत करय में सहयोग करी।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल
www.maithilmanch.com

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)