manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

श्रद्धांजलि सभा – स्व. श्री आनंद झा

anandjha

नमस्कार मैथिलजन,
आई दिनांक 28 मई के जैतपुर में हमर सबके सहयोगी आ एकटा समर्पित मिथिला आन्दोलनी स्व. श्री आनंद झा जी के “श्रद्धांजलि सभा” छल। पूरा दिल्ली-NCR सँ प्रबुद्ध मैथिल स्व. आनंद जी के श्रद्धांजलि अर्पित करबाक लेल उपस्थित भेलथि। आनंद जी अपना पाछा बहुत रास जिम्मेदारी छोड़ि गेलथि हमरा सबलेल। “मिथिला राज्य आँदोलन” सँ लय क हुनक निजी परिवार के दायित्व आब हम सब मैथिल समाज पर अछि। एहि सब जिम्मेदारी के लय क सेहो विचार विमर्श भेल। हुनक परिवार के भविष्य के लय क समस्त मैथिल समाज एकमत भय अपन जिम्मेदारी लयलनि। उपस्थित मैथिल जन किछु आर्थिक सहयोग सेहो कयलनि आ सर्वसम्मति सँ परिवार के आगा सेहो सदैव संग देबय के आश्वाशन देलनि। उपस्थित मैथिलजन में बुड़ाड़ी विधायक श्री संजीब झा, श्री अमरनाथ झा, श्री रमानाथ झा, श्री सुजीत झा, डा. पी. के. झा, श्री अमरेन्द्र झा, श्री आर. सी. चौधरी, श्री पी. एन. झा, मणिराम झा, श्री महेश झा, आनंद मोहन झा, मोहन राज झा, श्री रामबाबू सिंह, श्री संजीत झा, श्री नीरज कुमार झा, श्री माधवेन्द्र गिरी, श्री चन्द्रशेखर झा, श्री बिक्रम झा, श्री श्रवण कुमार झा, श्री मनोज कुमार झा, श्री सरोज झा, श्री सुनील झा, श्री अजीत रंजन, श्री दुर्गा कान्त झा, श्री नितेश झा, श्री मुकेश कुमार झा, श्री पवन मिश्रा, श्री मणिकांत झा, श्री मोहन मिश्रा, श्री संतोष राठौर, श्री रंजीत लाल दास, श्री अरुण झा, श्री कन्हैया राजपूत, श्री रजनीश झा, श्री सागर झा, श्री मुरारी मैथिल, श्री रोहित यादव, श्री सुरेन्द्र झा आदि अनेको लोक उपस्थित छलाह।
हम अपन जीवन में पहिल एहन एकता आ परस्पर सहयोगक भावना देखल अपन समाज में। निश्चय एहि सँ “मिथिला आँदोलन” में एकटा नव अध्याय के आरंभ कय गेला आनंद भाई।
.
हमर सबके ई कर्तव्य बनैत अछि जे हमसब अपन किछु योगदान दी स्व. आनंद भाई के पारिवारिक दायित्व लेल। इच्छुक लोक निम्न एकाउंट पर हुनक आर्थिक मदद कय सकय छी।
.
Wife-Name:- VANDANA JHA
Account No:-7512000100048877
IFSC:- PUNB0751200
Punjab National Bank.
B:-419, Jaitpur Extension, Part:-1
Jaitpur.
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल
www.maithilmanch.com

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)