manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

श्रद्धांजलि नैंसी

nancy

jmt

आई दिनांक 30 मई के साँझ में दिल्ली के जंतर-मंतर पर “मैथिल यूथ परिषद” द्वारा कैंडिल मार्च के आयोजन कयल गेल दिल्ली-NCR के प्रबुद्ध मोथिल समाज द्वारा , मधुबनी में घटित वीभत्स नैंसी अपहरण सह हत्याकांड के विरोध में।
ई सांकेतिक प्रदर्शन छल बिहार सरकार के छेछड़ल कानून व्यवस्था के विरोध में। उपस्थित मैथिलजन में श्री अमरनाथ झा, श्री रमानाथ झा,श्री ललित नारायण झा(मिथिला मिरर), श्री कमलेश झा, श्री बसंत झा वत्स, श्री सागर झा, श्री मुरारी मैथिल, श्री रुपेश झा, श्री रजनीश झा, श्री प्रेम चन्द्र झा, श्री संजीव झा समेत आर लोक छलथि।
जँ उचित जाँच आ दोषी के तत्काल फाँसी के सजा नहि होयत, त दिल्ली सँ लय समस्त देश में भीषण आँदोलन होयत आ एकर जिम्मेदार हर क्षेत्र में पिछड़ल बिहार सरकार होयत।
#JusticeForNancyJha
.
सूचना:-
कालि साँझ में 5.00 बजे पुन: एकटा जोरदार विरोध प्रदर्शन आ कैंडिल मार्च के आयोजन होयत जंतर-मंतर पर। सबसँ आग्रह जे समय पर पहुंच विरोध प्रदर्शन करी आ बेटी #नैंसी लेल आवाज उठाबी।

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)