manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

About Us

“मैथिल मंच” मैथिल के ओ समूह अछि जिनका मोन में मिथिलाक लेल असीम प्रेम बसय छनि आ मिथिला सँ दूर रहियो कय अपन मातृभूमि मिथिलाक लेल किछु करय के भावना रहय छनि | “मैथिल मंच” तीन स्तर के साथे काज कय रहल अछि | पहिल स्तर पर २१ लोक के मार्गदर्शक समूह अछि, जेहि में श्रेष्ठजन सब अपन अनुभव सँ मंच के मार्गदर्शन करैत छथि | मंच के क्रियाकलाप पर निगरानी रखय छथि | मार्गदर्शक समूह के प्रत्येक सदस्य के अपन-अपन क्षेत्र में विशिष्ट योगदान रहल छनि | “मैथिल मंच” के एतेक कम समय में सफलता पाबय में हिनक बहुत पैघ योगदान छनि | दोसर स्तर पर, पूरा देश सँ ५१ युवा मैथिल छथि जे तन-मन-धन सँ मिथिलाक विकास लेल सम्मिलित रूप सँ प्रयासरत छथि |
अपन-अपन जीवन यापन के साथे ई युवा सब मिथिलाक नव निर्माण के नींव राखि रहल छथि जे आबयवला समय में मिथिलाक पहचान बनत दुनियाँ में | तेसर स्तर पर मंच के ओ सदस्यगण सब छथि जे प्रत्यक्ष वा परोक्ष रूप सँ समय-समय पर मंच के सब काज में बराबर सहयोग दैत रहय छथि | सम्पूर्ण विश्व सँ सदस्य जुड़ि रहल छथि आ निरंतर मंच आगा बढि रहल अछि अपन अभियान में…. “मैथिल मंच” मिथिलाक चहुमुखी विकास चाहे ओ मैथिली शिक्षाक क्षेत्र में हो वा स्वास्थ्य में वा सांस्कृतिक संरक्षण हो, हर तरह सँ मिथिला के विकसित आ अपन पुरान एतिहासिक शिख़र तक पहुंचाबय लेल प्रतिबद्ध अछि |

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)