manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

Festivals In Mithila

नागपंचमी में धानक लाबा

FB_IMG_1475245202524

मिथिला में आई लाबा भुजि, कालि गोसाऊन बिसहाराक काँच दूध आ धानक लाबा चढाओल जेतनि। बड श्रद्धा सौं पवित्र बासन में भुजै छथि मिथिलानी। धन्य मिथिलानी जे अपन संस्कृति परंपरा टिकल अछि।जय हो शक्ति स्वरूपे प्रकृति के जीवंत स्वरूप मिथिलानी शत शत नमन।


मिथिला में मौना पंचमी आ नाग पंचमी

FB_IMG_1475245177015

साऊन कृष्ण पंचमी मौना पंचमी कहल जाई अछि।आजुक दिन मिथिलानी घर दुआइर नीपी धोई स्नान कय गोसाउन विषहारा के मौन भय सिनूर पिठार लगा दूध आ धानक लाबा सौं पूजन करै छथि,आई सौं मधुश्रावनी धरि मिथिलानी गोसाऊन के दूध लाबा नित अर्पण करती।पवित्र सौं खीर आ घोरजाऊर बना भगवती विषहारा के अर्पण कय ओहि दवाल पर गोबर सौं विषहाराक पाँचटा चित्र बना पीयर कपड़ा सौं झाँपी चारू कोन पर गोबर सौं साटि दूबि साटि बीच में एकटा डोकी साटि सातटा मऊनी में माटि आनि अंगना में ठाँऊ क पिठार सौं अरिपन दय सातटा पंचमीक थुम्हा बना सिनूर पिठार लगा दूइब चढवैत छथि आ पंचमी वितलाक बाद सब घर मे सालोभरीक लेल राखि दैत छथि।परिवारक सब लोकनि नीम नेबो मूंह में ल चिबा “विषहारा मूँह तीत कोत” तीनबेर कहैत थुकैर सपरिवार गोसाउनिक प्रसाद खीर घोरजाऊर ग्रहण करै छथि।
अहिसाल जाहि कन्या के विवाह भेल रहै छनि हुनका अहिठाम इ पंचमी पूजा विशेष रूप में केल जाई छनि। हुनका सासुर सौं भार अबै छनि।अचल सोहागक लेल मधुश्रावनी पावैन आईए सौं मनसा देवीक पूजा कथा सौं आरंभ कय अंगना अंगना सौं कथा सुनैलेल आयल हकार पुरनिहारि के सासुर सौं आयल बादाम भेंट दय स्त्री पुरोहिताइन सौं मधुश्रावनीक कथा सबमिली सुनैत छथि फूलो लोढनाई आइए सौं आरंभ अछि।भैर मधुश्रावनी सब नवविवाहिता मिली सखी बहिनपा संग गीतनाद गवैत फूल लोडह जाई छथि।5 तारीख धरि मिथिलाक टोल बाट सब फूललोढनिहारि सौं सुगंधित रहै अछि।
साँझखन सब दुआइरक मोखपर गोबर सौं विसहाराक आकृति बना एकटा बासन में मूसहैन मैट में धानक लाबा, फूटल लहठी, उल्टा सरसों मिला विद्वजन सौं मंत्रा घर दुआइर दलान सौंसे पुरूष छिटै छथि।जाहि सौं सँपक प्रकोप कम भ जाई छैक।किएक त वर्षा भेला सौं बिहैर में पैन भैर गेलाक कारणे साँप बाहर भय विचरण करे लागल ओहि काट सौं बचक लेल मनसा देवीक जन्मदिन पर नागपंचमी मिथिला में मनाओल जाई अछि।


Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)