manchmaithil@gmail.com       +91-8826566136

Mithila : At Present

मिथिला राज्य कियैक ?

वैदिक एवं पौराणिक युगहि सँ मिथिलाक चर्चा विभिन्न रूप में होइत रहल अछि . एकर साहित्यिक, साँस्कृतिक विशेषता रेखांकित कयल जाइत रहल अछि . वृहदिष्णु पुराण में मिथिलाक चतुर्सीमाक उल्लेख भेटैछ . रामायण काल में विदेह जनकक पुत्री सीताक अयोध्या नरेश दशरथक पुत्र श्रीरामचन्द्र सँ विवाह भेल छलनि . विदेह जनक मिथिलाक राजा छलाह . वैदिक साहित्य में कहल गेल अछि जे सदानीरा (गंडक) नदीक पूर्वी तट पर अग्नि प्रज्ज्वलित कय विदेह राज्यक स्थापना कयल गेल छल . यद्यपि ई विदेह भूमि ७२५ ई.पू. में गणतंत्रक शासन प्रणाली केँ जन्म देने छल जे ४८४ ई.पू. धरि रहल . परञ्च वर्त्तमान गणतांत्रिक प्रणाली में एहि क्षेत्रक जे अत्यधिक शोषण, उत्पीड़न तथा दुर्दशा भेल दुनियाँ में एकर उदाहरण अन्यत्र कतहुँ नहि भटैछ . एहि क्षेत्रक अतीत कतबो गौरवान्वित कियैक नहि रहल हो परञ्च गणतांत्रिक व्यवस्थाहि एकरा लेल अभिशाप बनि गेल अछि . स्वतंत्रताक उपरान्त ई सब क्षेत्र अपेक्षा, उत्पीड़न, अपमानक दंश झेल रहल अछि . आजादी सँ पूर्वक आर्थिक ढ़ाँचा प्रायः लुप्त भय गेल . राज्य स्तर पर सत्तारूढ़ सरकार सेहो एहि क्षेत्रक विकास लेल किछु नहि कयलक अपितु उल्टे शोषण कय अपन सत्ता बनौओने रहल . यद्यपि एहि क्षेत्रक बल पर बिहारक राजनेता लोकनि अपन सत्ता वर्चस्व एवं दल कें बनौओने छथि परञ्च मिथिला एवं मैथिलीक चर्चा करब हुनका लोकनि कें नीक नहि लगय छनि . एहि क्षेत्रक विकासक चर्चा केओ नहि कयलनि . मिथिलेक बहुमतक आधार पर सत्ता पर बनल रहलाह . मिथिला राज्यक चर्चा होइतहि ई लोकनि तर्क देबय लगताह जे बाढ़ि, अकाल, आओर बालूक अतिरिक्त एहि राज्य में आओर की बचत ? प्रश्न अछि – बिहार संगहि रहला पर एकरा की भेटलैक ? महाभारत में सेहो गंगा स उत्तर विदेह राज्य आओर गंगा स दक्षिण मगध राज्यक चर्चा अछि . बौद्धकाल में सेहो ईश्वरवाद-अनीश्वरवाद अथवा एकेश्वर अनेकेश्वर आदि विचारक तर्क-वितर्कक क्रम में मिथिलाक चर्चा होइत रहल अछि . मध्यकाल में सेहो मिथिलाक स्वतंत्र अस्तित्व छल . बारहम तेरहम शताब्दी में तुर्क आक्रमणक समय गंगाक उत्तरक अधिकांश भाग कर्णाट राजाक अधीन छल . एहि क्षेत्र में नदीक संख्या अधिक रहबाक कारणे एकरा बाद में तीरभुक्ति वा तिरहुती (तिरहुत) कहल जाए लागल . इक्ष्वाकु वंशीय राजा मिथिक नाम पर मिथिलाक प्राचीन नाम अछि . बीच में एकर नाम तिरहुत पड़ल . अंग्रेज समय में सेहो दिवानी जमा करबाक अतिरिक्त आनो मामला में एतुका शासन स्वायत्त रहल . १८७५ ई. में तिरहुत के दू भाग में विभाजित कयल गेल एकटा मुजफ्फरपुर आर दोसर दरभंगा . १९११-१९१२ में बंगाल प्रेसिडेंसीक अंग रहल . १९१२ ई. में बंगाल सँ फराक बिहार बनाओल गेल आर एहि भाग के बिहार प्रांतक अधीन कय देल गेल . वैदिक काल सँ इतिहास साक्षी रहल अछि जे जनक राजवंश, बौद्धकाल सँ गुप्तकाल सँ पूर्व तक लिच्छवीक गणतंत्र प्रसिद्ध रहल . गुप्त काल सँ हर्ष काल धरि तीरभुक्तिक नाम स प्रशासन रहल आओर पुनः कर्णाट, ओइनवार, खण्डवला जेना कुशल राजवंशी एहि क्षेत्रकें प्रशासकीय नेतृत्व देलनि . मिथिला राज्य विभिन्न नाम सँ सदैव बनल रहल परञ्च आजादीक बाद एकर अधोगति होइत गेल . एतुका लोक स्वतंत्रताक आँन्दोलन में सेहो बढ़ि-चढ़ि कय भाग लेलक . परञ्च आँन्दोलनक इतिहास लेखनक कालहिं सँ ई लोकनि उपेक्षित होइत रहलाह . स्वतंत्रता प्राप्तिक बाद प्रांतीय एवं केन्द्रीय दूनू सत्ता मिलि कय एहि क्षेत्र के पूर्णतः उपेक्षित छोड़ि देलक . अपन वैचारिक उदारता एवं सहनशीलता सँ एतुका लोक उपेक्षा कें सहैत रहलाह . परञ्च आब विकास के कोनो संभावना नहि देखि एतुका जनता जागि उठल अछि . अपन विकासक मार्ग स्वयं प्रशस्त करबा लेल पृथक मिथिला राज्यक मांग कय अभियानक श्रीगणेश कय देलक अछि .

 

चौहद्दी

उत्तर – नेपालक तराई भाग
दक्षिण – गंगा नदी
पूब – महानन्दा नदी
पश्चिम – गंडक नदी
उत्तर सँ दक्षिण (लगभग) १७० किमी
पूब सँ पश्चिम (लगभग) ४२५ किमी
उत्तरी अक्षाँश – २५.३ अंश सँ २७.५ अंश तक
पूर्व देशांतर – ८३.८० अंश सँ ८८.८० अंश तक

 

मिथिलाक चौहद्दीक विशेषता ई अछि जे एकर भूभाग तीन दीस सँ नदी सँ घेरल अछि आ एक दिस नेपालक ओ भाग अछि जे भौगोलिक, साँस्कृतिक आर भाषिक रूपसँ पूर्णतः मिथिले जकाँ अछि.

 

क्षेत्रफल ( जिलावार ) वर्ग किमी :
१. दरभंगा –
२. मधुबनी –
३. बेगूसराय
४. प. चंपारण –
५. पू. चंपारण –
६. मुजफ्फरपुर –
७. कटिहार –
८. पूर्णयाँ –
९. अररिया –
१०. किशनगंज –
११. सहरसा –
१२. सुपौल –
१३. मधेपुरा –
१४. समस्तीपुर –
१५. सीतामढ़ी –
१६. शिवहर –
१७. वैशाली –
१८. खगड़िया –
१९. मुंगेर –
२०. नवगछिया (भागलपुर) – वर्तमान भागलपुरक नवगछिया अनुमंडल गंगाक उत्तर में अछि | तैं ई क्षेत्र, भूमि, भाषा आर भावनाक आधार पर मिथिलाक अंग अछि |

 

जनसंख्या (२०११ के जनगणनाक आधार पर):

१. दरभंगा –
२. मधुबनी –
३. बेगूसराय –
४. प. चंपारण –
५. पू. चंपारण –
६. मुजफ्फरपुर –
७. कटिहार –
८. पूर्णयाँ –
९. अररिया –
१०. किशनगंज –
११. सहरसा –
१२. सुपौल –
१३. मधेपुरा –
१४. समस्तीपुर –
१५. सीतामढ़ी –
१६. शिवहर –
१७. वैशाली –
१८. खगड़िया –
१९. मुंगेर –
२०. नवगछिया (भागलपुर) –

प्रमंडल

१. दरभंगा प्रमंडल
२. पूर्णियाँ प्रमंडल
३. कोशी प्रमंडल
४. तिरहुत प्रमंडल

विश्वविद्यालय

मिथिला में कुल पाँच विश्वविद्यालय अछि जाहि में एक संस्कृत विश्वविद्यालय, एक कृषि विश्वविद्यालय तथा तीन अंग्रेजी शिक्षाक सामान्य विश्वविद्यालय अछि |

१. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगा
२. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा
३. बी. एन. भूपेंद्र नारायण मंडल विश्वविद्यालय, मधेपुरा
४. बाबा साहेब भीमराव अम्बेदकर बिहार विश्वविद्यालय, मुजफ्फरपुर
५. राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय, पूसा (समस्तीपुर)

मेडिकल कालेज

एहि क्षेत्र में पाँच टा मेडिकल कालेज अछि :
१. दरभंगा मेडिकल कालेज अस्पताल, दरभंगा
२. श्री कृष्ण मेडिकल कालेज, मुजफ्फरपुर
३. डा. नबाव मेडिकल कालेज, कटिहार
४. लार्ड बुद्धा मेडिकल कालेज, सहरसा
५. माता गुजरी देवी मेडिकल कालेज, किशनगंज

 

इँजिनियरिंग कालेज

मुजफ्फरपुर में ‘मुजफ्फरपुर इंस्टीट्यूट आफ टेक्नोलोजी’ नामक एकटा इंजिनियरिंग कालेज अछि | एकर अतिरिक्त बहुत रास पालिटेकनिक कालेज अछि |

 

लोकसभा क्षेत्र

मिथिला राज्य में वर्तमान में कुल २२ लोकसभा क्षेत्र अछि –
१. बगहा
२. बेतिया
३. मोतिहारी
४. हाजीपुर
५. वैशाली
६. मुजफ्फरपुर
७. सीतामढ़ी
८. शिवहर
९. मधुबनी
१०. झंझारपुर
११. दरभंगा
१२. रोसड़ा
१३. समस्तीपुर
१४. मुंगेर
१५. सहरसा
१६. मधेपुरा
१७. अररिया
१८. किशनगंज
१९. पूर्णियाँ
२०. कटिहार
२१. खगड़िया
२२. बेगूसराय
एहि में तीन टा अनुसूचित रक्षित क्षेत्र अछि – हाजीपुर, बगहा, रोसड़ा

 

विधानसभा क्षेत्र

 

प. चम्पारण
१. धनहा
२. बगहा
३. रामनगर
४. शिकारपुर
५. सिकटा
६. लौरिया
७. चनपटिया
८. बेतिया
९. नौतन
पू. चम्पारण
१. रक्सौल
२. सुगौली
३. मोतिहारी
४. आदापुर
५. ढाका
६. घोड़ासाहन
७. मधुबन
८. पिपरा
९. केसरिया
१०. हरसिद्धि
वैशाली
१. हाजीपुर
२. राघोपुर
३. महनार
४. जनदाहा
५. पातेपुर
६. महुआ
७. लालगंज
८. वैशाली
मुजफ्फरपुर :-
१. पारू
२. साहेबगंज
३. बारूराज
४. कांटी
५. कुढ़नी
६. सकरा
७. मुजफ्फरपुर
८. बोचहा
९. गायघाट
१०. औराई
११. मीनापुर
सीतामढ़ी :
१. रुन्नी सैदपुर
२. सीतामढ़ी
३. बथनाहा
४. मेजरगंज
५. सोनबरसा
६. पुपरी
७. सुरसंड
शिवहर :
१. शिवहर
२. बेलसंड
मधुबनी :
१. बेनीपट्टी
२. विस्फी
३. हरलाखी
४. खजौली
५. बाबूबरही
६. मधुबनी
७. पंडौल
८. झंझारपुर
९. फुलपरास
१०. लौकहा
११. मधेपुर
दरभंगा :
१. मनीगाछी
२. बहेड़ा
३. घनश्यामपुर
४. बहेड़ी
५. दरभंगा ग्रामीण
६. दरभंगा शहर
७. केवटी
८. जाले
९. हायाघाट
समस्तीपुर :
१. कल्याणपुर
२. वारिसनगर
३. समस्तीपुर
४. सरायरंजन
५. मोहीद्दीनगर
६. दलसिंहसराय
७. विभूतिपुर
८. रोसड़ा
९. सिंधिया
१०. हसनपुर
बेगूसराय :
१. बलिया
२. मटिहानी
३. बेगूसराय
४. बरौनी
५. बछवाड़ा
६. चेरियावरियारपुर
७. बखड़ी
सुपौल :
१. राघोपुर
२. किसनपुर
३. त्रिवेणीगंज
४. छातापुर
सहरसा :
१. सोनबरसा
२. सहरसा
३. सिमरी बख्तियारपुर
४. महिषी
मधेपुरा :
१. मधेपुरा
२. किसुनगंज
३. आलमगंज
४. सिंहेश्वर
५. कुमारखंड
पूर्णियाँ :
१. रुपौली
२. धमदाहा
३. बनमनखी
४. वायसी
५. अमौर
६. कसबा
७. पूर्णियाँ
अररिया :
१. जोंकी हाट
२. सिकटी
३. अररिया
४. फारबिसगंज
५. नरपतगंज
६. रानीगंज
किशनगंज :
१. बहादुरगंज
२. ठाकुरगंज
३. किशनगंज
कटिहार :
१. कोढ़ा
२. बरारी
३. कटिहार
४. कदबा
५. बारसोई
६. प्राणपुर
७. मनिहारी
खगड़िया :
१. परबत्ता
२. चौथम
३. खगड़िया
४. अलौली

Copyright © Maithil Manch     Designed and Developed by PASSWORD INFOTECH (8826554981)